सम्मेलनक महासचिव डॉ. बैद्यनाथ चौधरी 'बैजू' जनौलनी जे अंतरराष्ट्रीय व्यक्तित्व, देशक गौरवमय पुर्व प्रधानमंत्री विशिष्ट साहित्यकार, अद्भुत वक्ता आ कर्मठ ईमानदार देश-प्रेमी, एक शब्द में कही तँ मैथिली भाषा के संवैधानिक मान्यता दियौनिहार 'कीर्ति पुरूष'क जन्मदिवस पर अशेष शुभकामना। हिनक कर्म अमरत्व प्रदान कयने छनि आ जीवन में अमरत्व बनल रहनि।
एहि कार्यक्रम में उपस्थित रहथि सर्वश्री पं. कमला कान्त झा, डॉ बुचरू पासवान, डॉ महेन्द्र नारायण राम, चंद्रेश जी, परवा जी, बुढा भाई, जीवकांत जी, विनोद कुमार झा, महानंद ठाकुर, प्रदीप झा आशीष चौधरी आदि।
ऐहिक संगे सम्मेलनक महासचिव डॉ. बैद्यनाथ चौधरी 'बैजू' कहलनि कि दिनांक 22 आ 23 दिसम्बर क' पन्द्रहम अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन सोल्लासमय वातावरण मे राजविराज नेपाल मे संपन्न भेल। ई पन्द्रहम अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन 2017 स्वतः इतिहास रचलक। एहि अवसर पर दिनांक 27 दिसम्बर क' 11 बजे पूर्वाहन मे संस्थाक कार्यालय मे प्रेस सम्मेलनक आयोजन कायल गेल अछि, जाहि मे सभ पत्रकार, प्रेसक प्रतिनिधि एवं छायाकार सहर्ष आमंत्रित छथि।