दरभंगा। 21 दिसम्बर।[प्रणव कुमार चौधरी] विश्वविद्यालय थाना क्षेत्रक केैदराबाद बस स्टैंड केँ नाला मे एक युवकक लाश भेटल अछि। नाला मे लाश भेटलाक बाद पूरा इलाका मे सनसनी पसैर गेल अछि। लाशक जेब सँ भेटल कागजात केर मुताबिक युवकक पहिचान मधुबनी जिलाक विस्फी निवासी इरशाद केर रूप मे भेल अछि।
नाला मे लाश भेटबाक खबैर भेटते मौका पर पहुंचल पुलिस जांच पड़ताल क' रहल अछि। स्थानीय लोग सभक मुताबिक युवक नशा खुरानी गिरोह केर शिकार भेल छथि।