नई दिल्ली। 21 दिसम्बर। 2जी घोटाला मामला मे पटियाला हाउस कोर्ट केर सीबीआई विशेष अदालत द्वारा पूर्व दूरसंचार मंत्री ए.राजा आओर डीएमके राज्यसभा सांसद कनिमोई समेत 17 आरोपी सभकेँ बरी क' देल गेल अछि। अदालतक फैसला सुनते कनिमोई काने लागली। अदालतक फैसला केँ बाद कपिल सिब्बल कहलनि कि 2जी स्पेक्ट्रम आवंटन पर हमर 'जीरो लॉस' केर दावा सिद्ध भ' गेल आओर ई मामला संसद मे उठायब। आगा ओ कहलनि कि आय हमर बात सिद्घ भ' गेल अछि कि कुनू घोटाला नहि भेल छल। यदि घोटाला भेल तेँ फुइस केर घोटाला विपक्ष आओर विनोद राय केँ फुइसक अछि। विनोद राय क' सार्वजानिक रुपे माफी मांगबाक चाही।
पूर्व वित्तमंत्री पी. चिदंबरम कहलनि कि हमरा सभक सरकार पर लागल बड़का घोटाला केर आरोप फुइस छल आओर आय ई साबित भ' गेल अछि। आरोपी सभक वकील विजय अग्रवाल कहलनि कि सीबीआई आरोप साबित करबा मे नाकाम रहल अछि ऐहिक लेल जज महोदय सभकेँ बरी क' देलनि। डीएमके नेता दुरमु मुरुगन कहलनि कि विजय आब शुरू भेल अछि। राजनीतिक उद्देश्य सभक चलते हमरा सभक ऊपर ई मामला थोपल गेल छल। हमरा सभक खिलाफ षड्यंत्र रचल गेल मुदा आब सब खत्म भ' गेल। अदालतक फैसला केँ बाद कनिमोई कहलनि कि हम हुनका सभकेँ धन्यवाद कहे चाहैत छी जे सभ हमरा संगे सदिखन ठाढ़ रहलथि।
2-जी घोटाले केर सभ अभियुक्तक नाम जिनका सभकेँ बरी कायल गेल...
- ए राजा
- कनिमोई करुणानिधि
- सिद्धार्थ बेहुरा
- आरके चंदोलिया
- शाहिद उस्मान बलवा
- विनोद गोयनका
- मैसर्स स्वान टेलीकॉम (प्राइवेट) लिमिटेड (अब मैसर्स एतिसलात डीबी टेलीकॉम (प्राइवेट) लिमिटेड)
- संजय चंद्रा
- मैसर्स यूनीटेक वायरलैस (तमिलनाडु) लिमिटेड
- गौतम दोषी
- सुरेंद्र पिपारा
- हरि नायर
- मैसर्स रिलायंस टेलीकॉम लिमिटेड
- आसिफ बलवा
- राजीव अग्रवाल
- करीम मोरानी
- शरद कुमार
- ए राजा
- कनिमोई करुणानिधि
- सिद्धार्थ बेहुरा
- आरके चंदोलिया
- शाहिद उस्मान बलवा
- विनोद गोयनका
- मैसर्स स्वान टेलीकॉम (प्राइवेट) लिमिटेड (अब मैसर्स एतिसलात डीबी टेलीकॉम (प्राइवेट) लिमिटेड)
- संजय चंद्रा
- मैसर्स यूनीटेक वायरलैस (तमिलनाडु) लिमिटेड
- गौतम दोषी
- सुरेंद्र पिपारा
- हरि नायर
- मैसर्स रिलायंस टेलीकॉम लिमिटेड
- आसिफ बलवा
- राजीव अग्रवाल
- करीम मोरानी
- शरद कुमार