दरभंगा : जागरूकता अभियान केर कारण एक बाल बिआह होमै सँ रुकल

दरभंगा। 13 दिसम्बर।[प्रणव कुमार चौधरी] मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ बाल बिआह व दहेज विरोधी अभियान ल'के जे जागरुकता कार्यक्रम चलाओल जे रहल अछि ओहिक असर आम जन सँ स्कूली बच्चा सभ मे सेहो देखार देबे लागल अछि। प्राप्त खबैर केर मुताबिक बेनीपुर अनुमंडल केँ रमौली गामक    विजय मिश्र अप्पन 8वी मे पढाई बाली 14 वर्षिय पुत्री केर बिआह तय क' देना छलथि। लड़की एखन बिआह नहि करबाक बात अप्पन माँ आओर दादी सँ कहली। 

मां-दादी केर सहयोग भेटला पर लड़की केर मनोबल बढ़ल, लड़की मोबाईल पर बाल-विवाह रोकबाक लेल काज मे सहयोग कराई बला मोबाईल ऐप पर अप्पन समस्या अपलोड क' देली। अपलोड करबाक तत्काल बाद जिलाधिकारी डॉ. चंद्रशेखर सिंह आओर वरीय पुलिस अधीक्षक सत्यवीर सिंह बेनीपुर अनुमंडल कार्यालय पहुंचला। ओतहि लड़की आओर हुनकर पिता क' सेहो बजाओल गेलनि। जिलाधिकारी लड़की केँ पिता क' एखन हुनकर बिआह नहि करबाक देलनि आओर सम्झेलनि मुझेलनि। लड़की केँ एहि साहसी डेग क' देखैत 16 दिसम्बर क' मुख्यमंत्री केर विकास यात्रा केर दौरान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ हाथे लड़की क' सम्मान पत्र देल जायत।