दरभंगा पुलिस क' भेटल एक आओर सफलता, अपराधक योजना बनबैत दू अपराधी गिरफ्तार

दरभंगा। 13 दिसम्बर। [प्रणव कुमार चौधरी] आय दरभंगा पुलिस अलग -अलग जगह पर छापामारी करी अग्नेयास्त्र सहित चोर गिरोह केँ दु अपराधी क' गिरफ्तार केलक। अपर पुलिस अधीक्षक दिलनवाज अहमद कहलनि कि कोतवाली थाना क्षेत्र लग अपराधी सभक एकट्ठा होयबाक  गुप्त सूचना भेटल छल, जाहिक बाद पुलिस छापामारी करी दू गोटाकेँ गिरफ्तार केलक। 

गिरफ्तार अपराधी सभक पहिचान लेहरिसराय बाकरगंज केँ राहुल कुमार आओर मुफ्ती मोहल्ला केँ रियाज बारसी के रूप मे कायल गेल अछि। दिलनवाज अहमद कहलनि कि दुनु अपराधी हालही मे जेल सँ जमानत पर छूटल छल आओर फेरसँ अपराधक दुनियां मे लौट गेल छल। दुनू केँ गिरफ्तारी सँ चोरी के कैको मामला केँ उदभेदन होयबाक संभावना अछि। अपराधी सभक लग सँ एक पिस्टल, तीन गोली, 9 मोबाईल, एक लैपटॉप आओर खन्ती बरामद कायल गेल अछि।