मधुबनी : भीषण आगि सँ करीब एक दर्जन घर भेल राख, कैको मवेशी केँ मौत

मधुबनी। 13 दिसम्बर। [प्रणव कुमार चौधरी] कोतवाली चौक सँ सटल पंडौल थाना क्षेत्रक दोमंठा मंदिर लग नवटोली गाम मे बनल करीब एक दर्जन खरक घर मे भीषण आगि लगबाक खबैर प्राप्त भेल अछि। प्राप्त खबैर केर मुताविक आगि लगबाक कारण शार्ट सर्किट बताओल जे रहल अछि। 


एहि भीषण आगि सँ जता दर्जन भरी घर जरी केँ राख भ' गेल ओतहि कैको मवेशी केँ मौत सेहो भेल अछि। बताओल जे रहल अछि कि आगि लगबाक बाद घर मे रहैय बला लोग सभ अप्पन जान बचा केँ भागैय मे सफल रहला, मुदा बान्हल रहबाक कारण सँ मवेशी सभक आगिक चपेट मे अएला सँ मैत भ' गेल।


प्राप्त खबैर केर मुताविक कैको परिवार केँ घरक सामन जरी केँ खाक भ' गेल अछि। ओतहि मौका पर फायर ब्रिगेड के केको गाड़ि पहुंचल आगि पर काबु पेलक। मौका पर जिला पदाधिकारी शिर्षत कपिल अशोक, सदर डिएसपी, सदर थाना प्रभारी, पंडौल थाना प्रभारी दलबल केर संग पहुंचला आओर पीड़ित परिवार क' सांत्वना देला।