दरभंगा। 07 दिसम्बर। दरभंगा केँ मनीगाछी प्रखंड अंतर्गत मंकरन्दा स्थित सिद्धपीठ वाणेश्वरी स्थानक लेल ग्रामीण सभ फेरसँ राज्य सरकार सँ आर -पारक लड़ाई करबाक मोन बना लेना अछि। अय बेर ग्रामीण सभ सिद्धपीठ वाणेश्वरी स्थान' सँ संबंधित अप्पन चारि सूत्री मांग लेल अनिश्चितकालीन अनशन पर बैस गेल छथि।
अनिश्चितकालीन अनशन पर बैसल ग्रामीण सभक चारि सूत्री मांग निम्न प्रकारे अछि;
- सिद्धपीठ वाणेश्वरी भगवती स्थान क' जिला प्रशासन केर प्रतिवेदनक आलोक मे ऐहिके पर्यटन स्थल घोषित करैत ऐहिक सौन्दर्यीकरण हेतु देल गेल एक करोड़ टाकाक राशि सँ वाणेश्वरी भगवती स्थान केर सौन्दर्यीकरण काज तत्काल प्रारंभ कायल जाए।
- सिद्धपीठ वाणेश्वरी भगवती स्थान मे 23 सँ 26 मार्च2018 धरी आयोजित होमै बला 'वाणेश्वरी भगवती महोत्सव' क' राज्यकी दर्जा दैत एहि महोत्सव लेल 10 लाख टाका तत्काल उपलब्ध कराओल जाए।
- सिद्धपीठ वाणेश्वरी भगवती स्थान मे हर्ष रामनमी केर अवसर पर आयोजित होमै बला मेला क' राज्यकी मेला घोषित कायल जाए।
- सिद्धपीठ वाणेश्वरी भगवती स्थान मे हजारों श्रद्धालु सभक आगमन क' देखैत विधिवत घोषित वाणेश्वरी भगवती हाल्ट केर निर्माण तत्काल प्रारंभ कायल जाए।
वाणेशवरी न्यास समिति केर कोषाध्यक्ष डॉ. राम मोहन झा केर नेत्रित्व में सैकड़ो ग्रामीण अनिश्चितकालीन अनशन पर बैसल छथि। मंकरन्दा निवासी उमेशचंद्र झा सरकार पर आरोप लगबैत कहलनि कि सिद्धपीठ वाणेश्वरी भगवती स्थान जाहिकेँ पर्यटन स्थल घोषित कायल जे चुकल अछि। राज्य सरकार केर पर्यटन विभाग ऐहिक सौंदर्यीकरण केक बरख 2013 मे एक करोड़ टाका आवंटित केना छल, मुदा अधिकारी सँ ल'के मुख्यमंत्री के बीच दौड़ैत रहलाक बावजूद एखन धरी ओ आवंटित राशि सँ सौंदर्यीकरण काज नहि कायल गेल अछि।
राज्य सरकार एहि स्थान क' पर्यटन स्थल केर रूप में विकसित करबाक निर्णय लेना छल। तत्कालीन पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिंटू वाणेशवरी महोत्सव मे भाग लैत मंच सँ घोषणा केना रहथिन कि 2014 मे आयोजित होमै बला महोत्सवक लेल 10 लाख टाका आवंटित करायब मुदा एहि पर कोनो अमल नहि भेल।
उमेशचंद्र झा प्रशासन क' चेतावनी दैत कहलनि कि यदि एहि बेर मांग पूरा नहि भेल तेँ अनिश्चितकालीन अनशन केर समर्थन मे सभ सड़क पर उतरत आओर रेलक चक्का जाम कायल जायत। ओतहि, दोसर दिस एहतियातन प्रशासन द्वारा अनिश्चितकालीन अनशन क' देखैत अनशन स्थल पर पुलिस बल क' तैनात कायल गेल अछि।
ई खबैर विजय कुमार झा (मो. 9971219520 ) द्वारा निवेदित अछि।