एक क्लिक मे पता करी जे अपनेक 'आधार' कता - कता उपयोग कायल जे रहल अछि

मुंबई। 14 दिसम्बर। [जितमोहन झा (जितू)] आजुक समय मे आधार कार्ड सभक लेल एक महत्वपूर्ण दस्तावेज भ' गेल अछि। मोबाइल नंबर, बैंक खाता समेत कैको काजक लेल आधार कार्ड जरूरी भ' गेल अछि। ऐना मे आधार कार्डक बढ़ैत मांग क' देखैत ऐहिक गलत उपयोग होयबाक आशंका सेहो बढ़ल अछि। 

ऐना मे आधार अथॉरिटी (यूआईडीएआई) एक नवा सुविधा शुरू केना अछि, जाहिक जरिये अपने घर बैसल पता क' सकैत छी  कि अपनेक आधार कार्ड कता - कता उपयोग कायल जे रहल अछि। आधार अथॉरिटी (यूआईडीएआई) केँ एहि सुविधाक जरिये अपने नहि सिर्फ ई जैन सकैत छी कि अपनेक आधार कार्ड कता - कता उपयोग कायल जे रहल अछि, बल्क‍ि ऐहिक बदौलत अपने क' किछु गड़बड़ नजैर आबैत अछि तेँ अपने आसानी सँ ऐहिक शिकायत सेहो क' सकैत छी। 

ऐना करी एहि सुविधा केर उपयोग.........

  • सभसँ पहिने आधार अथॉरिटी (UIDAI) केँ वेबसाइट पर जाय 
  • एता अपने क' 'Aadhaar Authentication History' विकल्प देखार देत
  • जहिना अपने एहि पर क्ल‍िक करब एक नवा विंडो खुजत 
  • एता अपने क' अप्पन आधार नंबर डाले पड़त
  • ऐहिक संगे नीचे मे देल गेल कैप्चा सेहो दर्ज करे पड़त
  • ऐहिक बाद अपने सँ पूछल जायत कि कहिया सँ कहिया धरिक जानकारी चाही 
  • बाद मे OTP जनरेट करबाक ऑप्शन पर क्ल‍िक करे पड़त
  • आधार केँ संग रजिस्टर अपनेक मोबाइल नंबर पर एक OTP आयत 
  • OTP एंटर कैरते ओहि समय सीमा अवधि केर दौरानक सभ जानकारी अपने क' भेट जायत।

हिस्ट्री देखबाक बाद अपने क' यदि कोनो गड़बड़ी नजैर आबैत अछि तेँ ऐहिक शिकायत यूआईडीएआई सँ 1947 पर फोन करीकेँ क' सकैत छी। असल मे जखन भी अपनेक आधार केर उपयोग कायल जायत अछि, तेँ ऐहिक उपयोग करबाक लेल हर संबंधित व्यक्ति क' यूआईडीएआई क' रिक्वेस्ट भेजा पड़ैत अछि। ऐहिक आधार पर यूआईडीएआई अपनेक डाटा एता पेश करैत अछि।