पछिला तीन दिन सँ दिल्ली केँ द्वारका सँ लापता छथि मिथिलाक लाल IAS जितेंद्र कुमार झा

सुपौल। 14 दिसम्बर। दिल्ली मे मॉर्निंग वॉक पर निकलल आईएएस अधिकारी पछिला तीन दिन सँ गायब छथि। ई मामला दिल्ली केँ द्वारका सेक्टर 09 केँ अछि। द्वारका स्थित शिवाली कंपार्टमेंट मे रहै बला आईएएस अधिकारी जितेंद्र कुमार झा पछिला सोम दिन भोरे - भोर टहलबाक लेल गेल छला जाहिक बाद सँ ओ वापस नहि लौटला।

जितेंद्र कुमार झा इंडियन सिविल अकाउंट सर्विसेज केँ अधिकारी छथि।  सोम दिनक भोर ओ मॉर्निंग वॉक लेल निकलल छला ओहिक बाद सँ एखन धरी वापस नहि आयल छथि। आइएएस अधिकारी जितेंद्र कुमार झा केर लापता होयबाक खबैर भेटते सुपौल सदर प्रखंड केँ बभनगामा वार्ड नंबर 12 स्थित हुनकर पैतृक आवास पर सन्नाटा पसरल अछि। 

परिजन सभक कानि - कानि बहुत खराब हाल अछि। पिता दर्पनारायण झा आ माँ विमला देवी क' जहिना ऐहिक जानकारी मोबाइल से भेटल हुनका सभक कलेजा मानु मुंह मे आबि गेलनि। आइएएस अधिकारी झा क' जमीन खा गेल वा आसमान निगलि लेलक ई तेँ पुलिसिया अनुसंधानक बादे पता चलत मुदा एखन जतेक मुंह, ओतेक बात भ' रहल अछि। 


अपने क' बता दी जितेंद्र झा पहिने सूचना प्रसारण मंत्रालय मे छला जाहिक बाद हुनकर ट्रांसफर एचआरडी मिनिस्ट्री मे क' देल गेलनि। जितेंद्र झा केँ शादी बरख 2006 मे भेल छल। ओ अप्पन ईमानदारी के लेल अप्पन संगी साथी सभक बीच फेमस छला। हुनका लापता भेलाक बाद सँ घरक मंजर शोकमय बनल अछि। हुनकर पत्नी आओर बच्चा सभक कानि कानि केँ बहुत खराब हाल अछि। बच्चा सभ बेर - बेर अप्पन माँ सँ पुछैत छथि माँ पापा कखन औता। फिलहाल एहि मामला ल'के दिल्ली मे गुमशुदगी केर रिपोर्ट दर्ज कराओल गेल अछि।