अनुकूल राय समस्तीपुर टाउनक पटेल मैदान मे खेलैत एता धरिक सफर तय केना छथि। समस्तीपुर जिलाक रोसड़ा प्रखंड अंतर्गत भिड़हा गाम निवासी भाजपा केर पूर्व जिला अध्यक्ष प्रो। राम विलास राय केँ पौत्र व अधिवक्ता सुधाकर राय केँ पुत्र अनुकूल बचपने सँ क्रिकेट मे रूचि राखैत छथि। ओ समस्तीपुर केँ पटेल मैदान मे समस्तीपुर क्रिकेट अकादमी मे नियमित अभ्यास करैत छथि।
क्रिकेटर सह कोच ब्रजेश कुमार झा केर देखरेख मे अनुकूल जिला लीग मे अप्पन हरफनमौला प्रदर्शन केर बल पर जिला टीम मे अप्पन स्थान बनेलनि, जखनकि राज्य स्तर पर आयोजित क्रिकेट टूर्नामेंट मे सेहो अनुकूल केर प्रदर्शन बहुत नीक रहल। ऐहिक बाद ऑल राउंडर क्रिकेटर केर रूप मे हिनकर चयन बिहार क्रिकेट टीम मे सेहो भेलनि।
बाद मे बिहार मे क्रिकेटक भविष्य नहि देखैत अनुकूल राय क' झारखंड केँ रुख करे पड़लनि आओर ओ चाईबासा जिला अंतर्गत पश्चिम सिंहभूम सँ क्रिकेट खेला लागला। ओता सँ अप्पन हरफनमौला प्रदर्शन क' जारी राखैत अनुकूल अप्पन एक अलग पहचान बनेलनि। फेर अप्पन बेहतरीन प्रदर्शन केर बदौलत ओ झारखंड क्रिकेट अंडर 19 टीम केर कप्तानक रूप मे चयनित भेला।
अपने क' बता दी न्यूजीलैंड के चारि शहर मे अगिला 13 जनवरी सँ 3 फरवरी धरी चलाई बला टूर्नामेंट मे गत चैंपियन वेस्टइंडीज समेत कुल 16 टीमे हिस्सा लेत। एहि टूर्नामेंट केर आयोजन देशक चारि शहर मे सात स्थान पर कायल जायत आओर ई 22 दिन धरी चलत। भारत आओर आस्ट्रेलिया तीन-तीन बेर आईसीसी अंडर-19 क्रिकेट विश्वकप अप्पन नाम क' चुकल अछि। भारत क' गत वर्ष बंगलादेश मे भेल अंडर-19 विश्वकप केर फाइनल मे वेस्टइंडीज के हाथ हारक सामना करे पड़ल छल।
भारत केर टीम एहि प्रकारे अछि :- पृथ्वी शॉ (कप्तान), शुभम गिल (उप कैप्टन), मनजोत कालरा, हिमांशु राणा, अभिषेक शर्मा, रियान पराग, आर्यन जुअैल (विकेटकीपर), हारविक देसाई (विकेटकीपर), शिवम मावी, कमलेश नागरकोटी, ईशान पोरेल, अर्शदीप सिंह, अनुकूल राय, शिवा सिंह, पंकज यादव।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।