दरभंगा। 04 दिसम्बर। बिहार मे शराबबंदी के बाद दहेज प्रथा आओर बाल बिआह उन्मूलन के सरकारी प्रयासक बीच दैनिक जागरण द्वारा चलाओल जे रहल जागरुकता अभियान ल'के दरभंगा पहुँचल दहेज मुक्ति रथ केर भव्य स्वागत शहर के लोग सभ केलनि। दहेज केर खिलाफ चलाओल जे रहल जागरुकता अभियान मे जनप्रतिनिधि, छात्र-छात्रा सभक संगे संग आम जन सभ खूब बढ़ी चढ़ीकेँ हिस्सा लेलनि।
शहर के वार्ड 21 के पार्षद श्रीमती मधुबाला सिन्हा कोतवाली ओ पी थाना लग दहेज मुक्ति रथ केर भव्य स्वागत केलनि। श्रीमती सिन्हा अप्पन समर्थक आओर सहयोगी सभक संग खुद हाथ मे मशाल ल' खानकाह चौक तक गेली। एहि दौरान पार्षद सिन्हा लोग सभसँ बाल बिआह केर विरोध आओर दहेज मुक्त बिआह करबाक लेल आह्वान केलनि। रथ जहिना जहिना आगू बढ़ल रथक संग लोग सभक भीड़ बढ़ते गेल। महिला, युवा, बच्चा, बुजुर्ग सभमे रथक लेल बहुत उत्साह देखबाक लेल भेटल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।