दरभंगा : नाबालिग लड़की सँ फेसबुकिया दोस्ती निभेबाक चक्कर मे लड़का पहुँचल हवालात

दरभंगा। 02 दिसम्बर। [प्रणव कुमार चौधरी] प्यार मे लोग पागल भ' जायत छथि। प्यार मे आन्हर भ' लोग किनको संग पड़ा जायत छथि। आय कैल्हि फेसबुक केँ क्रेज नवयुवक नवयुवती सभमे बहुत बढ़ल अछि। टटका फेसबुकिया घटना मे कैल्हि शुक्र दिन एसएसपी दिलनवाज अहमद केर समक्ष एक एहने मामला आयल। 

प्राप्त खबर केर मुताबिक बहादुरपुर थाना क्षेत्रक दिलवारपुर गाम केँ 12वीं मे पढ़ैय बाली एक नाबालिग लड़की के दू बरख पहिने दरभंगा शहर के लक्ष्मीसागर मे रहैय बला ऐगो हमउम्र लड़का सँ फेसबुक पर दोस्ती भ' गेलनि। अस्थिर - अस्थिर दोस्ती प्यार मे बदैल गेल। दुनू के प्यार एहेन परवान चढ़ल कि लड़की ओहि लड़का से बिआह करबाक जिद्द ध' लेली। 

पछिला गुरू दिन सांझ क' लड़की कोचिंग सँ देरी वापस एली तेँ हुनकर पिता हुनका सँ ऐहिक कारण मुछलैन्ह जे किएक एतेक देरी भेल। एहि बात पर बाप बेटी मे बहस हुअ लागल। तखने लड़की के पिता तामस मे हुनका घर सँ भागैय लेल कहलैन। एहि पर लड़की घर सँ निकैल दरभंगा स्टेशन पर पहुँच गेली आ रास्ता स' अप्पन फेसबुकिया दोस्त क' फोन करके तुरन्त आबैय लेल कहली। 

किछु घरिक बाद लड़का सेहो स्टेशन पर पहुँचल आ दुनु ओतहि वेटिंग रूम मे रुकल। लड़की काइन काइन के लड़का सँ अप्पन सभ दुखड़ा सुनेलनि। लड़का लड़की के बुझा सुझा  ढांढस बंधेलक आ फेर अगला दिन लड़की घर पर पहुँचल। लड़की के घर पर पहुँचते लड़की के माँ तामस मे फेर सँ हुनका डाँटि देलनि एहि बिच लड़की के फेसबुकिया दोस्त एकदम हीरो जोका एंट्री मारैत पहुचल आ लड़की के माँ के धमकी द' कहलक की लड़की के यदि अहाँ सभ प्रताड़ित केलहुँ तेँ ऐहिक अंजाम बहुत गलत होयत।

जाहि पर लड़की के माँ पुलिस क' फोन क' देलनि। पुलिस दुनु क, पकैङ प्रभारी एसएसपी दिलनावज अहमद लग ल' गेलनि। ओहिठाम लड़का के परिजन सभ उपस्थित छला मुदा लड़की दिस सँ कियो नहि पहुँचल। थाना मे लड़की बयान देलनि कि लड़के हुनका फोन क' के बजेना रहैथ। जाहिक बाद पुलिस लड़की क' महिला थाना मे राखैत परिजन के सूचना देलक। लड़का क' तत्काल न्यायिक हिरासत मे भेज देल गेल। श्री अहमद कहला कि दुनु क' कोर्ट में पेश कायल जैत। कोर्ट मे बयान के बाद कोर्ट के निर्देशानुसार आगू के कारवाई कायल जायत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने