खगड़िया : पंप सेट चोरी करबाक दौरान दू चोरक पीट - पीट केँ हत्या

खगड़िया। 12 दिसम्बर। खगड़िया जिलाक अलौली थाना क्षेत्र मे कैल्हि सोम दिन देर राति ग्रामीण सभ दू कथित चोरक पीट-पीट केँ हत्या क' देलनि। इस घटना मे एक आन चोर गंभीर रूप सँ घायल बताओल जे रहल अछि। पुलिस केर मुताबिक़, आरोप अछि कि अहुना गांव मे पांच लोग मोख्तार शर्मा के खेत मे लागल डीजल पंप सेट चोरी करैत छल, ओहि समय ग्रामीण सभ पांचो मे तीन चोर क' पकैड़ लेलनि, जखन की दू चोर भागबा मे सफल रहला। ऐहिक बाद ग्रामीण सभ पकड़ल गेल तीनों चोर के  लाठी-डंडा सँ खूब पिटाई केलनि। 

इस घटना मे बेसी चोट लागला पर दू चोरक घटनास्थले पर मौत भ' गेलनि, जखनकि एक आन चोर गंभीर रूप सँ घायल बताओल जे रहल अछि। सूचना भेटला पर पहुँचल पुलिस घायल क' इलाजक लेल स्थानीय अस्पताल मे भर्ती करौलनि अछि। अलौली के थाना प्रभारी राजीव प्रसाद लाल कहलनि कि मृतक सभक पहिचान अहुना गाम सँ सटल रैन गाम निवासी लालो ठाकुर (26) आओर उमेश यादव (24) केँ रूप मे भेल अछि।  घायल लक्ष्मण यादव क' प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र, अलौली मे इलाजक लेल भर्ती कराओल गेल अछि। दुनू शव क' पोस्टमार्टम लेल खगड़िया सदर अस्पताल भेजल गेल अछि आ मृतक केर परिजन सभकेँ घटनाक जानकारी द' देल गेल अछि। फिलहालपुलिस मामला केँ जांच क' रहल अछि।