आय आधा रातिसँ सगर बिहार मे मालवाहक वाहनकेँ अनिश्चितकालीन हड़ताल

पटना। 15 नवम्बर। बिहार सरकार केँ नवा खनिज नियमावली आओर पथ परिवहन एवं सुरक्षा विधेयक केर विरोध करैत राज्य के सभ  मालवाहक वाहन आय 15 नवम्बर केँ रातिक 12 बजे सँ अनिश्चितकालीन हड़ताल पर रहत। 

एहि दौरान राज्य मे रजिस्टर 1 लाख 30 हजार ट्रक आओर 50 हजार बड़का मालवाहक वाहन केर परिचालन पूरा तरहे ठप रहत। राज्य सरकार केँ एहि नवा नियमावली केर विरोध करैत बिहार राज्य मोटर ट्रांसपोर्ट फेडरेशन आओर आन संगठन सभ एहि अनिश्चितकालीन हड़ताल केर आह्वान केना अछि।

बिहार मोटर्स ट्रांसपोर्ट फेडरेशन के अध्यक्ष उदय शंकर सिंह कहलनि कि राज्य सरकार केर नियमावली केर तहत मालवाहक वाहन सभक दोसर राज्य सभसँ खनिज संपदा आनबा पर रोक लगा देल गेल अछि। बालू खनन पर पूरा तरहे राज्य सरकार द्वारा  रोक लगेबाक बाद परिवहन उद्योग केर धंधा पूरा तरहे चौपट भ' गेल अछि। ऐना मे दोसरो राज्य सभसँ खनिज संपदा बिहार आनबा पर सेहो रोक लगेबाक फैसला दुर्भाग्यपूर्ण अछि। 

मालवाहक वाहन केर मालिक सभक कहब अछि कि नवा खनिज नियमावली केर अलावा परमिट शुल्क, सेवा शुल्क आ लाइसेंस शुल्क मे भेल भारी बढ़ोतरी सँ ट्रांसपोर्टर केर धंधा चौपट भ' गेल अछि। अप्पन मांग क' पूरा करेबाक लेल ट्रांसपोर्ट एसोसिएशन द्वारा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी केँ ज्ञापन सौंपल गेल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ