प्रद्युम्न हत्या कांड : सीबीआई द्वारा हिरासत मे लेल गेल छात्र हत्या करबाक बात सँ पलटल, पिता केँ आरोप फंसा रहल अछि सीबीआई

गुरुग्राम। 15 नवम्बर। प्रद्युम्न ठाकुर हत्या मामला मे नित्य दिन नवा खुलासा भ' रहल अछि। प्रद्युम्न हत्या मामला मे सीबीआई द्वारा हिरासत मे लेल गेल रायन इंटरनैशनल स्कूल केँ छात्र लगातार अप्पन बयान बदैल रहल छथि। दू दिन पहिने जूवेनाइल जस्टिस बोर्ड कहने छल कि आरोपी 11वीं के छात्र प्रद्युम्न केर हत्या करबाक बात कबूल केलनि। बोर्ड इयो कहने छल कि आरोपी छात्र कोना हत्या केना छल। आब आरोपी छात्र अप्पन बयान सँ पलटैत नजैर आएब रहल अछि आओर ओ चाइल्ड प्रोटेक्शन अधिकारी (सीपीओ) क' कहलनि कि हुनका जानी बुझिकेँ एहिमे फंसाओल जे रहल अच्छी ओ किनको हत्या नहि केना छथि। 

आरोपी 16 वर्षीय छात्र केँ पिता कहलनि कि सीबीआई हुनकर बेटा क' फंसा रहल अछि। आरोपी के पिता कहलनि कि हुनकर बेटा क' अपराध स्वीकार करबाक लेल प्रताड़ित कायल जे रहल अछि, जे ओ नहि केना छथि। आगा ओ कहलनि कि सीबीआई अधिकारी अपराध स्वीकार नहि करबा पर हुनकर पूरा परिवार क' गोली मारबाक धमकी द' रहल अछि। सीबीआई केँ एहि धमकी के बाद हुनकर बेटा अपराध स्वीकार केना छथि। 

ओम्हर, कहल जे रहल अच्छी कि आरोपी छात्र सीपीओ केर समक्ष सोम दिन प्रद्युम्न केर हत्या नहि करबाक बात कहलनि। एक सीपीओ अधिकारी नाम नहि बतेबाक शर्त पर कहलनि कि आरोपी छात्र एकदम शांत नजैर आबैत छल। हम हुनका कहलो कि हम सीपीओ अधिकारी छी। कृपा करि बिना कोनो डर के सभ बात बताऊ। तखन छात्र कहलनि कि ओ किनको हत्या नहि केना छथि हुनका फंसाओल जे रहल अछि।

अपने क' बता दी 8 नवंबर क' छात्र क' हिरासत मे लेबाक बाद सीबीआई कहने छल कि छात्र अप्पन पिता आओरजांचकर्ता सभक समक्ष अप्पन अपराध स्वीकार केलनि। सीपीओ कही रहल अछि कि आरोपी छात्र कहने छथि कि डरा के हत्याक बात स्वीकार केलनि। सीपीओ कही रहल अछि कि जांचकर्ता सभ छात्र क' मारी पीटी प्रताड़ित केना छल। सीबीआई पूछताछ केर दौरान जूवेनाइल जस्टिस बोर्ड के कोनो सदस्य क' ओता नहि रहे देना छल। पता नहि ई केहेन प्रक्रिया छल।   

आरोपी छात्र केन पिता कहलनि कि ओ एहि मामला मे प्रधानमंत्री सँ हस्तक्षेप करबाक मांग करथिन। आगा ओ कहलनि कि हम एहि मामला के सभक लग ल' जायब। सीबीआई एहि हत्या कांड मे हम्मर बेटा केँ शामिल होयबाक कोनो सबूत नहि देना अछि। हमर बेटा प्राइमरी विंग केर  बाथरूम मे इसलिए गेल छल किएक जे ओ म्यूजिक रूम दिस जे रहल छल। एहि दौरान ओ बाथरूम मे खून सँ लथपथ प्रद्युम्न के देखने छल।

गौरतलब अछि कि प्रद्युम्न केर 8 सितंबर क' रायन इंटरनैशनल स्कूल के बाथरूम मे हत्या क' देल गेल छल। गुरुग्राम पुलिस एहि मामला मे एक बस कंडक्टर अशोक क' गिरफ्तारी केना छल, मुदा सीबीआई बस कंडक्टर क' क्लीनचिट द' देना अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ