मुजफ्फरपुर : अनियंत्रित भ' यात्री सँ भरल बस पलटल, करीब 30 यात्री घायल

मुजफ्फरपुर। 15 नवम्बर। आय फेरसँ रफ्तारक कहर देखबाक लेल भेटल। प्राप्त खबैर केर मुताविक सिलीगुड़ी सँ छपरा जेबाक दौरान एक यात्री बस अनियंत्रित भ' पलैट गेल जाहिमे दू दर्जन सँ बेसी यात्री घायल बताओल जे रहल अछि, जिनका सभकेँ इलाजक लेल एसकेएमसीएच भेजल गेल अछि। 

प्राप्त खबैर केर मुताविक सिलीगुड़ी सँ छपरा जेबाक दौरान बोचहां के भुसाही चौक लग यात्री बस अनियंत्रित भ' पलटला सँ करीब 30 यात्री घायल भ' गेलथि। घटना के बाद चालक आओर खलासी फरार बताओल जे रहल अछि। ओतहि घटना केर सूचना पर पहुंचल बोचहा थाना पुलिस  बचाव काज शुरू क' देना अछि।  

एहि हादसा मे घायल विनोद गुप्ता, दवंती गुप्ता, चन्द्रमा प्रसाद, सीता देवी अनिल कुमार, मुन्ना कुमार, शशि भूषण, विनोद, मिथलेश सहित दू दर्जन सँ बेसी यात्री शामिल अछि। जाहिमे दू केर स्थिति बहुत नाजुक बनल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ