मुजफ्फरपुर। 13 नवम्बर। गायघाट प्रखंड मुख्यालय सँ सटल सत्यनाम फ्यूल एंड सर्विस पेट्रोल पंप सँ अज्ञात अपराधी सभ दिनदहाड़े 10 लाख टाका लुईट लेलनि। लूटक सूचना भेटला पर पहुँचल पुलिस जांच - पड़ताल शुरू क' देना अछि। पुलिस द्वारा पंप पर लागल सीसीटीवी फुटेज सेहो लेल जे रहल अछि।
पेट्रोल पंप केँ कर्मचारी अखिलेश आओर शंकर द्वारा कांटा स्टेट बैंक मे टाका जमा करे जेबाक दौरान नाजीपुर गामक कब्रिस्तान लग किछु अज्ञात बाइक सवार अपराधी सभ द्वारा घटना क' अंजाम देल गेल। गायघाट थाना आओर बेनीबाद ओपी के द्वारा दुनू स्टाफ सँ पूछताछ कायल जे रहल अछि। पुलिस के एक अधिकारी कहलनि कि जल्दे अपराधी सभके पकैड़ लेल जायत आओर टाका सेहो बरामद क' लेल जायत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।