एमएसयू केँ विशाल छात्र आंदोलनक तैयारी जोर - शोर सँ चैल रहल अछि, 15 नवम्बर क' बंद रहत कोचिंग संस्थान

दरभंगा। 13 नवम्बर। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे आगामी 15 नवम्बर क' मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) द्वारा 11 सूत्री मांग ल'के विशाल छात्र आंदोलन केर आयोजन होमै बला अछि। एहि विशाल छात्र आंदोलन क' सफल बनेबाक लेल एमएसयू सेनानी द्वारा आंदोलनक तैयारी जोर - शोर सँ कायल जे रहल अछि। हरेक चौक - चौराहा, गाम-पंचायत, ट्रेन - बस आओर देबाल सभमे एमएसयू केर कार्यकर्ता द्वारा "15 नवम्बर क' एलएनएमयू चलू" केँ पोस्टर लगाओल जे रहल अछि। दरभंगा केँ हरेक मुख्य मार्ग क' बड़का - बड़का बैनर सँ सजाओल जे रहल अछि।  


मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) केँ कार्यकर्ता सभ गाम - गाम पहुंच लोग सभसँ एहि विशाल छात्र आंदोलन मे भाग लेबाक लेल अपील क' रहल छथि। कार्यकर्ता सभ द्वारा कतहुँ मोटरसाइल सँ रैली निकालल जे रहल अछि तेँ कतहुँ बैंड बाजा संग प्रचार-प्रसार कायल जे रहल अछि। आंदोलन क' सफल बनेबाक लेल एमएसयू केर जिला अध्यक्ष राघवेंद्र रमण केर नेतृत्व मे एमएसयू केर कार्यकर्ता सभ द्वारा जिलाक सभ कोचिंग संस्थान मे पहुँच छात्र सभके जागरूक करैत एहि आंदोलन मे भाग लेबाक लेल अपील कायल जे रहल अछि। 


मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) केर कार्यकर्ता सभ क्षेत्र केँ सभ कोचिंग संचालक सभसँ भेंट करी15 नवम्बर क' कोचिंग संस्थान बंद रखबाक अपील केलनि अछि ताहि बेसी सँ बेसी छात्र एहि आंदोलन मे भाग ल' सकैथ। जाहिक समर्थन मे प्रखंड केँ सभ कोचिंग संचालक द्वारा 15 नवम्बर क' कोचिंग संस्थान बंद रखबाक सहमति दैत छात्र सभसँ आंदोलन मे भाग ल' आंदोलन क' सफल बनेबाक आवाहन कायल गेल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ