अपने क' बता दी विगत 31 अक्टूबर क' पटना हाईकोर्ट बहुत नमहर सुनवाई के बाद नियोजित शिक्षक सभके समान काजक लेल समान वेतन देबाक फैसला सुनेना छल। प्राप्त खबैर केर मुताबिक अदालत केर फैसला सँ नीतीश सरकार मुश्किल मे फंसैत देखा रहल अछि।
ऐतिहासिक गांधी मैदान मे कैल्हि रवि दिन भेल बैठक मे 23 शिक्षक संघ द्वारा मिल जनवरी माह तक 'समान काजक लेल समान वेतन' नहि लागू भेला पर एक फरवरी सँ पूर्ण तालाबन्दी केर फैसला कायल गेल। जानकारी केर मुताबिक तालाबंदी केर दौरान शिक्षक सभ फ़रवरी माह मे होमै बला इंटर व मैट्रिक केर परीक्षा आओर मूल्यांकन काजक सेहो बहिष्कार करता।
अनिश्चितकालीन हड़ताल केर चेतावनी दैत 3.30 लाख नियोजित शिक्षक सभ नीतीश सरकार पर आरोप लगबैत कहलनि कि पटना हाईकोर्ट केर फैसला क' लागू नहि करी सरकार समय टारबाक रवैया अपनाबैत सुप्रीम कोर्ट जेबाक तैयारी क' रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।