कोमल क' इसरो केँ इलेक्ट्रॉनिक एवं कम्युनिकेशन सेक्शन भेटल अछि। अप्पन बेटीक सफलता पर हुनकर माता-पिता ऐहिके माँ उग्रतारा आओर बाबा बैजनाथ केर आशीर्वाद आ कोमल केर मेहनतक बतौलनि। एहि बाबत कोमल कहलनि कि इसरो राष्ट्रसेवा केर बहुत बड़का माध्यम अछि। ओ वैज्ञानिक बनी देश सेवा मे अप्पन योगदान देती। कोमल दोसरा सभक लेल संदेश दैत कहलनि कि कखनहुँ मेहनत आओर असफलता सँ घबरेबाक नहि चाही। लगातार मेहनत करबा सँ सफलता भेटनाय तय अछि। हमहुँ कैको आन प्रतियोगिता मे भाग लेलहुँ मुदा फाइनल लेल चयनित नहि भ' पेलहुँ, मुदा मेहनत करैत रहलो। जाहिक परिणाम अछि कि हमर चयन इसरो जेहन बड़का महत्वपूर्ण संस्थान मे भेल।
कोमल कुमारी कहलनि कि ओ संत माइकल एंग्लो विद्यालय सँ मैट्रिक केर परीक्षा 93.2 प्रतिशत अंक केँ संग उत्तीर्ण केलीह। देवघर कॉलेज सँ इंटर मे 74.2 प्रतिशत अंक केँ संग ओ जिला मे सेकेंड टॉपर रहली। बीआईटी सिंदरी से बीटेक कराई बाली कोमल आईआईटी दिल्ली मे एमटेक क' रहल छथि।
अपने क' बता दी इसरो केंद्रीयकृत भर्ती बोर्ड वैज्ञानिक सीएस अभियंता केर वार्षिक परीक्षा मे 50 हजार परीक्षार्थी शामिल भेल छल। सफल प्रतिभागी सभमे 350 अभ्यर्थि सभक चयन साक्षात्कार केँ लेल भेल। साक्षात्कार केँ बाद चयनित 40 प्रतिभागी सभमे 69 औसत स्कोरक संग कोमल 13हम स्थान पर रहली।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।