बेगूसराय। 11 नवम्बर। सूबे मे बढ़ैत अपराधक बीच जनता केर संगे - संग आब पुलिस ख़ुदो सुरक्षित नहि अछि। ताजा मामला मे कैल्हि शुक्र दिन देर राति अपराधी सभ पुलिसकर्मी सभ पर अंधाधुंध फायरिंग केलनि, जाहिमे नगर थानाध्यक्ष सुनील कुमार बाल-बाल बचला। घटना केँ बाद जिलाक पुलिस कप्तान पर पत्रकार सभसँ बदसलूकी करबाक आरोप सेहो लगाओल गेल अछि।
कैल्हि देर राति नगर थाना क्षेत्र के भारद्वाज नगर मे पुलिस एक गुप्त सूचना केर आधार पर अपराधी सभके गिरफ्तारी करबाक लेल गेल छल। प्राप्त खबैर केर मुताविक लूटपाट, माएरपीट, गोलीबारी आओर घर मे घुसिकें तोड़फोड़ क' रहल अपराधी सभक सूचना पर पुलिस ओहि इलाका मे सादा पोशाक मे गेल छल।
बताओल जे रहल अछि कि अपराधी सभक संबंध मे पुलिस क' सूचना भेटल छल कि गामक एक युवक सँ जबरन लूटपाट करबाक बाद दू अपराधी भारद्वाज नगर मे नुकाओल अछि।
ग्रामीण सभक सूचना पर घटनास्थल पर पहुंचल नगर थाना पुलिस पर सेहो अपराधी सभ गोलीबारी शुरू क' देलनि। फायरिंग मे नगर थानाध्यक्ष सुनील कुमार बाल-बाल बचला। बताओल जे रहल अछि कि अपराधी सभक भागबाक दौरान एक अपराधी सुमंत क' गिरफ्तार कायल गेल जखनकि दोसर भागबा मे सफल रहला।
घटना केर संबंध मे पुलिस अधिकारी सभ किछु कहबा सँ इनकार क' देलनि आओर खबैर भेटला पर घटनास्थल पर पहुंचल बेगूसराय के एसपी आदित्य कुमार पर पत्रकार सभ बदसलूकी करबाक आरोप लगेना अछि। पत्रकार सभक आरोप अछि कि पुलिस अप्पन नाकामी केँ ठीकरा पत्रकार सभ पर फोड़ला आओर पत्रकार सभसँ बदसलूकी केलनि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।