कन्हैया कुमार लिटरेरी फेस्टिवल मे अप्पन पोथी ‘बिहार से तिहाड़’ तक पर चर्चा करबाक लेल पहुंचल छला। ऐहिक विरोध मे भारतीय जनता युवा मोर्चा (भाजयुमो) आओर अखिल भारतीय विद्यार्थी फेस्टिवल (एबीवीपी) केँ सदस्य सभ खूब हंगामा एकनि। बताओल जे रहल अछि कि कन्हैया समर्थक आओर विरोध करनिहार सभक बीच खूब हाथापाई सेहो भेल। एहि हंगामा के बाद जिला प्रशासन कहलक कि कार्यक्रम मे शामिल होमै बला अतिथि सभक सूची मे कन्हैया कुमार आओर शत्रुघ्न सिन्हा केर नाम शामिल नहि छल। प्रशासन ऐहिकेँ देल गेल अनुमति केर शर्तक उल्लंघन मानैत लिटरेरी फेस्टिवल के आगुक कार्यक्रम पर रोक लगा देलक।
एहि हंगामा के बाद कन्हैया कुमार कहलनि कि ओ देशद्रोही नहि छथि। ओ स्वतंत्रता सेनानी केर खानदान सँ छथि। आगा ओ कहलनि कि हुनका गोली माएर देल जायत तैयो ओ संघर्ष केर मैदान सँ नहि हटता।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।