मुजफ्फरपुर। 11 नवम्बर। भाजपा नेता आओर बिहार सरकार के पीएचईडी मंत्री विनोद नारायण झा कहलनि कि लालू यादव क' कालाधन पर आओर कांग्रेस क' भ्रष्टाचार पर बाजबाक कोनो हक नहि अछि। कांग्रेस केँ राज मे जता एक सँ एक घोटाला भेल ओतहि लालू यादव कालाधन केर चक्कर मे अप्पन पूरा परिवार क' तबाह क' देलनि। पीएचईडी मंत्री विनोद नारायण झा मुजफ्फरपुर मे पार्टी केर बुद्धिजीवी मंच दिस सँ आयोजित नोटबंदी विषय पर आयोजित सेमिनार मे भाग लेबा मुजफ्फरपुर आयल छला।
मंत्री विनोद नारायण झा स्वीकार केलनि कि नोटबंदीक बाद किछु लोग सभक रोजगार छीना गेल मुदा एहिसँ नवा नवा संभावना सेहो बढ़ल। मंत्री झा दावा केलनि कि नोटबंदी पूरा तरहे अप्पन मकसद मे कामयाब रहल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।