चौदह करोड़क शौचालय घोटाला केँ मास्टर माइंड 'बटेश्वर प्रसाद' तेलंगाना सँ गिरफ्तार

पटना। 16 नवम्बर। राज्य मे भेल चौदह करोड़क शौचालय घोटाला केँ मास्टर माइंड बटेश्वर प्रसाद क' एसआइटी द्वारा तेलंगाना सँ गिरफ्तार कायल गेल अछि। पटना पुलिस तेलंगाना पुलिस केर मदैद सँ बटेश्वर प्रसाद क' तेलंगाना मे धर दबोचलनि। पटना केँ एसएसपी मनु महाराज  ऐहिक पुष्टि केलनि। 

बटेश्वर प्रसाद पीएचईडी विभाग के एकाउंटेट छथि आ ओ सुप्रीटेडेंट इंजिनियर विनय कुमार संग मिल एहि घोटाला क' अंजाम देना छथि। बटेश्वर प्रसाद क' तेलंगाना के जगदागिरी गुट्टा के रिग बस्ती सँ गिरफ्तार कायल गेल अछि। बटेश्वर प्रसाद पूछताछ केर दौरान एसआईटी क' कैको  महत्वपूर्ण बात बतौलनि। 

फिलहाल पुलिस टीम बटेश्वर प्रसाद सँ पूछताछ के बाद पीएचईडी विभाग के सुप्रीटेंडेट इंजिनियर विनय कुमार केर गिरफ्तारी मे जुटल अछि। आब हुनकर गिरफ्तारी के बाद एहि घोटाला केँ पर्दाफाश होयत।

अपने क' बता दी राज्य मे शौचालय घोटाला ल'के सरकार केँ बहुत बदनामी भ' रहल अछि आओर विपक्ष लगातार नीतीश सरकार पर निशाना साधी रहल अछि। एहि मामला मे पांच गोटाकेँ पहिने गिरफ्तारी भ' चुकल अछि। आब मास्टर माइंड केर गिरफ्तारी पुलिस केँ बड़का कामयाबी अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ