अप्पन नाक पर हाथ राखी जमीन पर बैस पढ़ाई क' रहल मासूम बच्चा एहि तरहक दुर्गन्धक घेरा मे शिक्षा ग्रहण करबाक लेल मजबूर अछि। एहिठाम पढ़बै बला शिक्षक सभ सेहो अप्पन नाक पर रुमाल राखी बच्चा सभके पढ़बैत छथि। सरकार सँ ल'के अधिकारी तक जिला केँ सभ पंचायतक हरेक वार्ड मे लोग सभके जागरूक करि शौचालय बनबाओल जे रहल अछि। मुदा एहि विद्यालय मे बच्चा सभक लेल एक शौचालय सेहो नहि अछि।
ओतहि, सबसँ आश्चर्य केँ बात ई अछि कि एहि प्राथमिक विद्यालय मे एतेक रास परेशानि तेँ छबे करे, ऐहिक बावजूद एक बड़का समस्या ई अछि कि एहि स्कूल के बच्चा सभ पीबाक लेल पैन सेहो दोसर जगह स' आनैत अछि।
अपने क' बता दी एहि विद्यालय केँ नाम 'प्राथमिक विद्यालय सहनी टोल' अछि आओर एता वर्ग एक सँ वर्ग पांच धरिक बच्चा केर भविष्य संवारल जायत अछि। विद्यालय केँ प्रधानाध्यापक केँ कहब अछि कि आस-पास मे घर होयबाक कारण सभ कियो अप्पन घरक कूड़ा - कड़कट स्कूल के सामने भेक दैत अछि। बेर - बेर मना करबाक बादो कियो नहि मानैत अछि। शिक्षा विभाग केर अधिकारी सभके एहि समस्या सँ कैको बेर अवगत कराओल गेल मुदा किनको ध्यान एहि दिस एखन धरी नहि गेल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।