मिथिलाक बेटी "श्रेयसी सिंह" लहरौलनि ऑस्ट्रेलिया मे तिरंगा

जमुई। 04 नवम्बर। मिथिलाक बेटी श्रेयसी सिंह शूटिंग चैंपियनशिप मे एक बेर फेर देशक परचम लहराबैत ऑस्ट्रेलिया केँ ब्रिस्बेन मे चैल रहल कॉमनवेल्थ शूटिंग चैंपियनशिप मे सिल्वर मेडल जीत अप्पन देशक नाम  रोशन केलि। 

श्रेयसी केर जीत पर हुनकर गृह जिला जमुई मे खुशीक लहर देखबाक लेल भेटल, जता लोग सभ ढोल-नगाड़ा केँ संग ख़ुशी मनौलनि। जमुई समेत सगर बिहारक लोग श्रेयसी केर जीत पर अपना आप क' गौरवान्वित महसूस क' रहल छथि। ओतहि पूरा देश वासी क' श्रेयसी पर गर्व अछि।

अपने क' बता दी मिथिलाक बेटी श्रेयसी सिंह मिथिलांचलक नाम रोशन केलि। श्रेयसी विदेश मे हिंदुस्तान केँ तिरंगा लहरौलनि। शूटिंग प्रतियोगिता मे श्रेयसी बेहतर प्रदर्शन करैत सिल्वर मेडल जीतलि। निशानेबाज श्रेयसी सिंह पूर्व केंद्रीय मंत्री दिग्विजय सिंह आओर बांका केँ पूर्व सांसद पुतूल कुमारी के बेटी छथि। श्रेयसी पहिनो निशानेबाजी मे जीतक कैको मेडल अप्पन नाम क' चुकल छथि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने