अपने क' बता दी गिरफ्तर सभ अपराधी समस्तीपुर जिला में कोनो बड़का वारदात क' अंजाम देबै बला छल। ऐहिक खुफिया जानकारी सभसँ पहिने बिहार एसटीएफ क' भेटल। अपराधी सभके चारो दिशा सँ घेरबाक बाद समस्तीपुर पुलिस क' सेहो एहि जॉइंट ऑपरेशन मे शामिल कायल गेल।
जाहि समय पुलिस द्वारा छापामारी करि सभकेँ गिरफ्तार कायल गेल ओहि समे सभ अपराधी एक सरकारी स्कूल लग जमा भ' अपराध केर योजना बनबैत छल। एसपी दीपक रंजन एहि गिरोह केर संबंध म' बतौलनि कि सभकियो डब्लू झा गैंग के सक्रिय शूटर छथि आ ई गैंग बिहार के कैको जिला मे आतंकक पर्याय बनल छल।
एसपी दीपक रंजन कहलनि कि एहि गिरोह द्वारा ताजपुर चर्चित दवा कारोबारी डॉक्टर जनार्दन ठाकुर हत्या एवं हालही मे मुजफ्फरपुर मे 38 लाख टाका लुटबाक घटना क' सेहो अंजाम द' पुलिस केर नींद हराम क' देना छल। समस्तीपुर समेत कैको जिला मे एहि गिरोह द्वारा करीब दू दर्जन सँ बेसी हत्या, लूट, रंगदारी केँ मामला क' अंजाम देल गेल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।