मुंबई। 03 नवम्बर। [जितमोहन झा (जितू)] मशहूर मेसेजिंग ऐप वॉट्सऐप केँ सर्वर दुनियां भरिमें किछु देरक लेल डाउन रहल। कैको देशक लाखों यूजर वॉट्सऐप केँ ऐप आओर वेब सर्विस केर काज नहि करबाक जानकारी ट्विटर पर देलनि। ओनाकि, आब वॉट्सऐप केँ सेवा शुरू भ' गेल अछि आओर भारत केँ यूजर मेसेज भेज आओर पाएब रहल अछि। वॉट्सऐप केँ Contact us पेज पर गेला पर ओतहु एरर देखल जे सकैत अछि, जता लिखल अछि "हमर सेवा म' किछु समस्या आएब रहल अछि। जाहि पर काज कायल जे रहल अछि आओर उम्मीद अछि कि एहि समस्या क' जल्दे ठीक क' लेल जायत। असुविधाक लेल खेद अछि।"
एकाएक सर्वर डाउन भेला सँ यूजर सभके बहुत दिक्कतक सामना करे रड़लनि। फेसबुक केर स्वामित्व बला एहि मेसेजिंग ऐप क' भारत म' लाखों गोटा उपयोग करैत छथि। आय शुक्र दिन दुपहर 1.30 बजे के बाद सँ वॉट्सऐप पर मेसेज जेनए - एनए बंद भ' गेल छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।