दिल्ली : मैथिल समन्वय समिति द्वारा आयोजित "वर-वधु परिचय सम्मेलन" सफलतापूर्वक संपन्न भेल

नई दिल्ली। 06 नवम्बर। कैल्हि रवि दिन नई दिल्ली केँ सीरी फोर्ट अॉडिटोरियम मे "मैथिल समन्वय समिति" केर तत्वावधान में आयोजित दोसर "वर-वधु परिचय सम्मेलन" दिल्ली एहेन व्यस्तम व्यस्त शहर मे  ऐतिहासिक सफलताक संग संपन्न भेल।

आजुक भाग - दौड़ भरल जिनगी मे वरक लेल योग्य बधू आ वधूक लेल योग्य वर हेरब आसान काज नहि अछि। एहि सभ परिस्थिति क' देखैत "मैथिल समन्वय समिति" द्वारा लोग सभक अपेक्षा क' ध्यान मे राखैत पछिला बरख मुंबई मे पहिल "वर वधू परिचय सम्मेलन" केर सफल आयोजन कायल गेल छल। समिति द्वारा कैल्हि रवि दिन नई दिल्ली केँ सीरी फोर्ट अॉडिटोरियम मे दोसर "वर-वधु परिचय सम्मेलन" केँ  ऐतिहासिक आयोजन कायल गेल। 

एहि मौका पर उपास्थि समिति केँ संरक्षक शिक्षाविद ड़ॉ. संदीप झा कहलनि कि मैथिल सभक हित क' ध्यान मे राखैत एहि तरहक सम्मेलन   केर आयोजन हर बरख देश केर विभिन्न महानगर आओर मिथिला क्षेत्र सभमे कायल जायत। 

कैल्हिकेँ आयोजन लेल समिति केँ अध्यक्ष प्रेमचंद्र झा, उपाध्यक्ष जय माधव झा, संयोजक पंकज झा एवं तमाम कार्यकर्ता सभक अथक प्रयास सँ देशक सभ भाग सँ मैथिल वर वधू केर परिचय (बायोडेटा) संकलन कायल गेल छल। जाहिकलेल देश भरी मे पसरल समाजसेवी संगठन सभक सहयोग सेहो समिति क' भेटल छल। वर-वधु परिचय सम्मेलन केँ  ऐतिहासिक आयोजन लेल समिति केँ समस्त पदाधिकारी आओर कार्यकर्ता केँ "मिथिला दैनिक" परिवार दिस सँ ढाकी भरी बधाई आओर शुभकामना। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ