मंदिर मे बिआह केँ बाद परिजन सभ दूल्हा- दुल्हन क' ल'क' कटिहार केँ सिरसा गाम चाचा केर घर पहुंचल, जता स्थानीय ग्रामीण सहित चाचा केँ परिवारक लोग सभकेँ एहि बेमेल बिआह पर शक भेल। बस केर की? सभ मिल दूल्हा केँ खूब धुनाई केलनि।
अपने क' बता दी दूल्हा देशराज अप्पन जान बचा कहूना स्टेशन पर ट्रेन पकड़े पहुंचला मुदा लोग सभ ओतहूं पहुंच गेल आओर आरोपी दूल्हा क' रेल पुलिस केर हवाले क' देलनि। पीड़िता केर कहब अछि कि जबरन हुनकर बिआह कराओल गेल छल। ओतहि, कटिहार रेल पुलिस उपाधीक्षक रणधीर कुमार सिंह कहलनि कि आरोपी देशराज क' गिरफ्तार कायल जे चुकल अछि आओर मामला केर जांच शुरू क' देल गेल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।