पटना। 22 नवम्बर। पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केर खिलाफ विवादित बयान देलनि। राबड़ी देवी कहलनि कि बीजेपी बला सभ बाजैत छथि कि मोदी दिस उठाई बला आंगुर आओर हाथ काएट देब। हम कहैत छी हिम्मत अछि तेँ काटू। बिहार मे मोदी केँ हाथ आओर गर्दैन काटय बला बहुत लोग छथि।
कैल्हि मंगल दिन पटना मे आयोजित आरजेडी केर राष्ट्रीय अधिवेशन मे राबड़ी देवी ई विवादास्पद बयान देलनि। गौरतलब अछि कि पछिला सोम दिन बिहार बीजेपी के अध्यक्ष नित्यानंद राय एक विवादास्पद बयान मे कहने रहथिन कि प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी पर कियो आंगुर वा हाथ उठाएत, तेँ हुनकर हाथ तोएड़ देल जायत वा काएट देल जायत।
अधिवेशन मे राबड़ी देवी जांच एजेंसी सभके सेहो खुला चुनौती दैत कहलनि कि कोनो एजेंसी क' पूछताछ करबाक अछि तेँ पटना आएब पूछताछ करे। राबड़ी देवी जांच एजेंसी सभके चेतावनी दैत कहलनि कि हम सीबीआई, आयकर विभाग, प्रवर्तन निदेशालय (ईडी) सभक त्रिया-चरित्र जानैत छी। सभके अगबे नोटिस पर नोटिस भेजनाए अछि। जखन हम कोनो गलती करबे नहि केलहुँ तखन डरबाक कोन दरकार।
गौरतलब अछि कि ईडी बेनामी संपत्ति केर मामला मे राबड़ी देवी सँ पूछताछ करे चाहैत अछि। ईडी दिस सँ कैको बेर ऐहिक लेल पूर्व मुख्यमंत्री क' नोटिस भेजल जे चुकल अछि मुदा एखन धरी ओ जबाबाक लेल पेश नहि भेल छथि। अधिवेशन मे राबड़ी देवी आगू कहलनि कि जखन लालू प्रसाद केर परिवार जेल चल जाएत, तेँ बिहार के जनता बाहर रहत? बिहार मे सभके जेल भेजा पड़त।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।