सहरसा। 22 नवम्बर। जिला प्रशासन केँ पूर्व एसडीअो सौरभ जोड़वाल केर अथक प्रयास सँ पुरनका सब्जी मंडी क' शहर केँ सुपर बाजार मे शिफ्ट कायल गेल छल, जाहिक बाद बाजार मे सड़क जाम केर समस्या लगभग समाप्त भ' गेल छल। सब्जी मंडी रोड केँ उपयोग सेहो आवागमन लेल होमे लागल छल। एक बेर फेर सँ पुरनका सब्जी मंडी लग अतिक्रमण शुरू भ' गेल अछि।
शहर केँ शंकर चौक स्थित पुरनका सब्जी मंडी मे फेर सँ अतिक्रमण शुरू भ' गेल अछि। एता सब्जी विक्रेता सहित आन दोकानदार सभ सड़कक कात दोकान लगा खुलेआम सामान बेच रहल छथि। पूर्व एसडीओ सौरभ जोरवाल के जायते अतिक्रमणकारी दुकानदार सभक मनोबल फेर सँ बढ़ल जे रहल अछि।
पूर्व एसडीओ सौरभ जोरवाल पुरनका सब्जी बाजार क' अतिक्रमण मुक्त करैत सभ दोकानदार क' दोकान नहि लगेबाक कड़ा हिदायत देना रहथिन। पुरनका सब्जी बाजार स्थित दोकान सभके सेहो खाली करबाक नोटिस देल गेल छल। एहि बीच पूर्व एसडीओ केर तबादला होयते जिला प्रशासन केर शिथिलता देख सब्जी दोकानदार सहित आन दोकानदार सभ फेर सँ सड़क पर दोकान लगायब शुरू क' देना अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।