डाक विभाग केँ बड़का फैसला, आब डाकघर मे भेटत सरसों तेल, साबुन, टिकुली, गंगाजल संगे बहुत समान

पटना। 21 नवम्बर। डाक विभाग अप्पन अस्तित्व बचेबाक लेल बैंकिंग सेवा के बाद आब मार्केटिंग क्षेत्र मे उतड़ै बला अछि। दूरदराज के गामक लोग सभके नीक समान पहुंचेबाक लेल डाक विभाग 'पोस्ट शॉप' योजना केर शुरुआत केना अछि। आब डाकघर मे एकहि छतक नीचा डाक टिकट सँ ल'के सरसों तेल, साबुन, टिकुली, गंगाजल आदि जरूरतक बहुत सामन भेटत। एहि योजना केर प्रथम चरण मे पटना के प्रधान डाकघर सँ ऐहिक शुरुआत कायल गेल अछि। अगिला 10-12 दिन मे बिहार के तीन आओर बड़का शहर भागलपुर, नालंदा एवं नवादा मे इसकी शुरुआत क' देल जायत जाहिक विस्तार अस्थिर - अस्थिर सगरे होयत।

पोस्ट शॉप मे डाक टिकट, लिफाफा, गंगा जल, एलईडी बल्ब, एलईडी ट्यूब, सजावट के सामान, मधुबनी पेंटिंग केँ साड़ी व सजावटी सामान, टिकुली, ब्रांडेड कंपनी के शुद्ध सरसों तेल समेत कैको सामान बेचल जायत। आब आधार कार्ड लेल सेहो किनको भटके नहि पड़त। डाक विभाग द्वारा शुरू कायल गेल पोस्ट शॉप मे आब आधार कार्ड सेहो बनाओल जायत। एतबे नहि एतहि सँ आधार कार्ड मे संशोधन व आन काज सेहो कायल जायत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने