पटना। 20 नवम्बर। राजधानी मे तीन दिसंबर क' एक एहेन बिआह होमै बला अछि जाहिमे नहि तेँ बैंड बाजत आओर नहिये बाराती सभक स्वागत काएल जायत। बिआह मे अतिथि सभके भोजन केँ बदला भगवान क' भोग लगाओल गेल 'प्रसाद' देल जायत। एहि अद्भुत बिआह लेल लोग सभके निमंत्रण सेहो ई-मेल आओर वॉट्सऐप केर माध्यम सँ भेजल जे रहल अछि। सभसँ बड़का गप ई अछि कि बिहारक उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी के बेटाक बिआह मे ई सादगी देखबाक लेल भेटत।
अपने क' बता दी उपमुख्यमंत्री आओर बीजेपी केर वरिष्ठ नेता सुशील कुमार मोदी केँ बेटा उत्कर्ष केर बिआह 3 दिसंबर क' अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि समय प्रदेश मे दहेज विरोधी अभियान चला छथि। ऐना मे एहि बिआह मे जता दहेज विरोधी अभियान केर झलक भेटत ओतहि प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केँ 'डिजिटल इंडिया' केँ सेहो समावेश देखार देत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।