प्राप्त खबैर केर मुताबिक नगर परिषद क्षेत्र केँ वार्ड संख्या 26 अंतर्गत बटराहा निवासी कुंदन सहनी नामक युवक क' कैल्हि रवि दिन देर राति अपराधी सभ गोली माएर घायल क' देलनि। स्थानीय लोग सभ आनन-फानन मे घायल कुंदन सहनी क' सदर अस्पताल मे भर्ती करौलनि। अस्पताल प्रबंधन द्वारा घायल केर स्थिति गंभीर बतबैत नीक इलाजक लेल हुनका रेफर क' देलनि। कुंदन सहनी केँ परिजन सभ हुनका तत्काल निजी नर्सिंग होम मे भर्ती करौलनि जता हुनकर हालत स्थिर बताओल जे रहल अछि। घटना केर सूचना भेटते स्थानीय थानाध्यक्ष व अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी घटनास्थल पर पहुंचल।
घटना केरसंबंध मे भेटल जानकारी केर मुताबिक घायल युवक वार्ड संख्या 28 मे रवि दिनक राति एक प्रोग्राम देखा गेल छला जता कुनू मामूली विवादक बाद हुनका गोली मारल गेल। घायल कुंदन सहनी केर परिजन सभ अस्पताल केँ कुव्यवस्था ल'के नाराजगी सेहो जतौलनि।
जानकारी केर मुताबिक घायल क' एम्बुलेंस मुहैया नहि कराओल गेल आओर परिजन सभ हुनका ई-रिक्शा पर लादिके निजी नर्सिंग होम मे भर्ती करौलनि। फिलहाल पुलिस मामला के छानबीन क' रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।