मधुबनी : अज्ञात अपराधी सभ पेट्रोल पंप व्यवसायी क' मारलनि गोली, हालत गंभीर

मधुबनी। 20 नवम्बर। कैल्हि राति बेनियापट्टी के लोहिया चौक लग अज्ञात अपराधी सभ पेट्रोल पंप व्यवासायी क' रातिक अन्हार म' मारलनि गोली। एहि मामला मे एखन धरी किनको गिरफ्तारी नहि भेल अछि। 

प्राप्त खबैर केर मुताबिक बेनीपट्टी के लोहिया चौक लग कैल्हि राति मोटरसाइकिल पर सवार दू हथियारबंद अज्ञात अपराधी एक के बाद एक दू गोली चलौलनि। जाहिमे पेट्रोल पंप व्यवसायी रंजन प्रधान उर्फ विक्की गंभीर रुपे घायल भ' गेलथि। 

बताओल जे रहल अछि कि ब्लॉक रोड लग रंजन प्रधान ठाढ़ रहथिन एहि दौरान इंदिरा चौक दिस सँ आयल अपराधी सभ हुनका पर लगातार दू गोली चलौलनि, जाहिमे एक गोली रंजन के डाँड़ मे लागल आओर दोसर गोली हुनकर घरक दीबाल पर लागल।

घायल युवक क' पीएचसी बेनीपट्टी मे भर्ती कराओल गेल जता हुनकर हालत खराब होयत देख चिकित्सक सभ हुनका डीएमसीएच दरभंगा लेल  रेफर क' देलनि। डीएमसीएच मे सेहो युवकक स्थिती गंभीर होयत देख हुनका पीएमसीएच पटना रेफर क' देल गेल अछि।

गोलीबारीक घटना केर सूचना भेटते एसडीपीओ पुष्कर कुमार, सर्किल इंस्पेक्टर पीके मिश्रा आओर एसएचओ हरेराम साह दल बल संग घटना स्थल पर पहुंचला। फिलहाल मामला के जांच चैल रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ