भागलपुर। 27 नवम्बर। भागलपुर के नवगछिया स्थित झंडापुर मे अपराधी सभ खौफनाक वारदात क' अंजाम दैत एकहि परिवार केँ तीन गोटाक कुड़हरी सँ काटिकें हत्या क' देलनि। अपराधी सभ काली कबूतरा स्थान केर बगल मे वार्ड नंबर 6 के कबूतरा स्थान लग शनि दिनक देर राति गायत्री राम उर्फ कनीक राम, हुनकर पत्नी मीना देवी के कुड़हरी सँ काटिकें हत्या क' देलनि। ओतहि कुड़हरी केर वार सँ गंभीर रुपे घायल मृतक के बेटा छोटू सेहो जवाहरलाल नेहरू अस्पताल भगलपुर मे इलाजक दौरान दम तोईड़ देलनि। ओतहि मृतक केर बेटी बिन्दी कुमारी केर इलाज भागलपुर मे चैल रहल अछि।
घटना केर सूचना पर एसडीपीओ मुकुल कुमार रंजन, इंस्पेक्टर अजय कुमार, सीओ रतन लाल आओर ओपी प्रभारी जवाहर लाल सिंह मौका पर पहुँच जांच पड़ताल क' रहल छथि। एसडीपीओ मुकुल कुमार रंजन कहलनि कि तीन गोटाक कुड़हरी सँ काटिकें हत्या कायल गेल अछि। एहि घटना के कारणक एखन धरी पता नहि लगाओल जे सकल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।