उजियारपुर प्रखंड मे चैल रहल सरकारी उच्चतर माध्यमिक स्कूल शिक्षा विभाग केर अनदेखी के दंश झेल रहल अछि। हसौली कोठी स्थित सरकारी उच्चतर माध्यमिक स्कूल मे क्लास 9 सँ 11वीं धरिक पढ़ाई होयत अछि। उच्चतर माध्यमिक स्कूल के तीन कमरा मे 800 बच्चा पढ़ैत अछि।
एक-एक बेंच पर छह-छह बच्चा बैसिके पढ़बाक लेल मजबूर अछि। स्कूल भवन पूर्ण रुपे खंडहर मे बदैल गेल अछि। बच्चा सभ सदिखन दशहत मे शिक्षा ग्रहण करैत अछि। पढ़ाई सँ बेसी हुनका सभके ई चिंता रहैत अछि कि स्कूलक छत हुनका सभक ऊपर गिर नहीं पड़े।
ई बात तेँ भवन के भेल, मुदा स्कूल मे जे बच्चा सभक लेल दर्जनों कंप्यूटर लगाओल गेल अछि, ओ आय धुरा फांकी रहल अछि। ओनाकि स्कूल के प्रिंसिपल राजीव कुमार कुनु तरहे खंडहर मे तब्दील भवन मे तीन कमरा क' ठीक करा बच्चा सभके पढ़ा रहल छथि। प्रिंसिपल राजीव कुमार कहलनि कि शिक्षा विभाग सँ ल'के जनप्रतिनिधि तक विद्यालय केर स्थिति सँ अवगत कराओल गेल। ऐहिक बावजूद एम्हर किनको ध्यान नहि गेल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।