बनगाँव सँ निकलल सरबा सद्भावना रथयात्रा मे गाजा - बाजा संग सैकड़ों मोटरसाइकिल, दर्जनो चारपहिया वाहन पर सवार बाबा केर सरबा सभ जय बाबाजी केर उद्घोष करैत 'संत शिरोमणि परमहंस लक्ष्मीनाथ गोस्वामी' केर जन्मस्थली गाम परसरमा लेल प्रस्थान केलनि। सरबा सद्भावना रथयात्रा बनगाँव, बरियाही बाजार, सहरसा, मत्स्यगंधा, सिहौल संगे कैको गामक भ्रमण करैत 'संत शिरोमणि परमहंस लक्ष्मीनाथ गोस्वामी' केर जन्मस्थली गाम परसरमा पहुंचल।
लक्ष्मीनाथ सेवा मिशन द्वारा आयोजित सरबा सद्भावना रथयात्रा मे सभ धर्म - जाती मे बाबा केर प्रति श्रद्धा देखबाक लेल भेटल। पछिला किछु बरख सँ आयोजित होमै बला सरबा सद्भावना रथयात्रा केर शुभारम्भ पूर्व सदर एसडीओ जहाँगीर आलम झंडा देखा केना रहथिन। एहि बरख बरियाही बाजार मे ऑल इंडिया इस्लााहे अंजुमन सिद्दीकी केर जिला अध्यझ मो.शाह नवाज सिद्दीकी द्वारा बरियाही बाजार मे सद्भभावना रथयात्रा मे शामिल बाबा केर सरबा सभक बीच पेय जल आओर शरबत केर वितरण करैत कोमी एकता केर परिचय देल गेल।
दू दिवसीय 'संत गोस्वामी लक्ष्मीनाथ महोत्सव' सँ बनगाँव सहित आसपास के गामक माहौल भक्तिमय बनल रहल। एहि आयोजन केर संयोजक राहुल कुमार झा कहलनि कि अगिला बरख सँ एहि महोत्सव क' विशेष रूप सँ मनाओल जायत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।