आय पटना मे राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद करता 1.54 लाख करोड़क कृषि रोडमैप केर शुरुआत

पटना। 09 नवम्बर। राष्ट्रपति बनलाक बाद रामनाथ कोविंद आय पहिल बेर पटना आएब रहल छथि। आजुक दौरा पर राष्ट्रपति 1.54 लाख करोड़क तेसर कृषि रोडमैप केर शुरुआत सेहो करता। पटना पहुंचलाक बाद राष्ट्रपति कोविंद कृषि रोडैमप केँ संग नौबतपुर लेल बिजली केँ अलग कृषि फीडर केर सेहो शुभारंभ करता। 

बिहार के राज्यपाल रही चुकल रामनाथ कोविंद राष्ट्रपति बनलाक बाद पहिल बेर बिहार आएब रहल छथि। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक कृषि रोडमैप मे फसल केर संगे संग मत्स्यपालन, पशुपालन, सहकारिता जेहन क्षेत्र मे तरक्की केर अपार संभावना अछि आओर ऐना मे राष्ट्रपति के ई दौरा महत्वपूर्ण मानल जे रहल अछि। 

प्राप्त खबैर केर मुताविक बिहार केँ पूर्व राज्यपाल आओर वर्तमान राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद आय11.25 बजे विशेष सेवा विमान सँ पटना पहुंचता। कार्यक्रम केर संबंध मे भेटल जानकारी केर मुताबिक 11.45 बजे कोविंद राजेंद्र बाबू केर प्रतिमा पर माल्यार्पण करता। 

कृषि फीडर केर शुरुआतक लेल रामनाथ कोविंद दिन के करीब 12 बजे कन्वेंशन सेंटर पहुंचता। कार्यक्रम के बाद राष्ट्रपति 1.05 बजे जय प्रकाश नारायण केर प्रतिमा पर माल्यार्पण करता। बताओल जे रहल अछि कि कार्यक्रम के बाद राष्ट्रपति सीधा राजभवन पहुंचता आओर फेर 3.30 मिनट पर दिल्ली लेल रवाना भ' जेता।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ