प्रद्युम्न हत्याकांड : फेर सँ दोहराओल गेल हत्याक दृश्य, आरोपी बतौलनि बहुत रास चौकाबाई बला गप

नई दिल्ली। 10 नवम्बर। गुरुग्राम केँ रायन इंटरनेशनल स्कूल मे दूसरी कक्षाक छात्र प्रद्युम्न केर हत्याक गुत्थी सुलझेबाक लेल सीबीआई ओहि हत्याक दृश्य क' फेर सँ तैयार केना छल, तखन जे क' सीबीआई असल आरोपी तक पहुँच पायल। सीबीआई सूत्र केर मुताबिक, सीबीआई आरोपी छात्र क' ओहि दोकान पर ल' क' गेलनि, जता सँ आरोपी हत्या करबाक लेल चाकू कीनना रहथिन। दोकान के बाद आरोपी क' घटनास्थल पर लाओल गेल आओर एक-एक करी उवे स्टेप कराओल गेल, जे आरोपी घटना बला दिन केना रहथिन। आरोपी 3 दिनक लेल सीबीआई केर  हिरासत मे अछि। सभसँ पहिने आरोपी क' सीबीआई हेडक्वार्टर आनल गेल, जता हुनका सँ कैको घंटा पूछताछ कायल गेल। एक सीबीआई अधिकारी केर मुताविक एहि हत्याकांड मे एखन धरी 125 गोटा सँ पूछताछ कायल गेल अछि। 

जांच एजेंसी जल्दे आरोपी केर बयान सीआरपीसी केर धारा-165 केँ तहत दर्ज कराओत। इए बयान हत्याकांड मे पुख्ता सबूत बनत। जानकारी केर  मुताबिक, एहि मामला मे पुलिस द्वारा जे चाकू स्कूल के बाथरूम सँ बरामद कायल गेल छल, ओ बिल्कुल ओहने अछि जेहन हत्याक लेल उपयोग कायल गेल छल। अपने क' बता दी प्रद्युम्न केर हत्याक बाद आरोपी द्वारा एहि बारे मे स्कूलक पीटी टीचर आओर माली क' बताओल गेल छल कि बाथरूम मे एक बच्चा केर खून बही रहल अछि। 

अपने क' बता दी 8 सितंबर क' भेल प्रद्युम्न केर हत्याक आरोप मे सीबीआई द्वारा स्कूले के 11वीं कक्षाक एक छात्र क' हिरासत मे लेल गेल अछि। सीबीआई जुवेनाइल जस्टिस कोर्ट मे कहलक कि आरोपी अप्पन  पिता केँ सामने प्रद्युम्न ठाकुर केर हत्या मे शामिल होयबाक बात स्वीकार केलनि। आरोपी द्वारा हत्या केँ बात स्वीकार करबाक दौरान आरोपी के पिता के अलावा स्वतंत्र गवाह आओर सीबीआई के कैको अधिकारी सेहो मौजूद छल। सीबीआई के एक अधिकारी कहलनि कि आरोपी केँ कबुलानामा के अलावा सीबीआई लग हत्याकांड केँ पुख्ता सबूत, फॉरेंसिक जांच आओर सीसीटीवी फुटेज सेहो अछि जाहिक आधार पर आरोपी केँ पकड़ल गेल अछि।

एक सीबीआई अधिकारी कहलनि कि प्रद्युम्न केर हत्याक पाछू आरोपी केर मकसद स्कूल केँ परीक्षा आओर टीचर-अभिभावक मीटिंग (पीटीएम) क' स्थगित करबाक छल, किएक जे आरोपी पढ़ाई मे कमजोर छला आओर परीक्षा मे बैसै सँ डरैत छला। सीबीआई केर दावा के बाद प्रद्युम्न हत्याकांड दू माह केर भीतर बिल्कुल उलेट गेल अछि। दू - दू जांच टीम द्वारा अलग-अलग आरोपी क' पकैड़ हत्या केर गुत्थी सोझरेबाक दावा कायल गेल अछि। हरियाणा पुलिस एहि मामला मे स्कूल के बस कंडक्टर अशोक कुमार क' गिरफ्तार कायल गेल छल। खास बात ई अछि कि अशोक कुमार सेहो सभक सामना हत्या करबाक बात स्वीकार केना छल।  

जांच केस सीबीआई के हाथ अएलाक बाद जांच अधिकारी सभ एक बेर फेरसँ नवा सिरा सँ जांच शुरू केलनि। हरियाणा पुलिस द्वारा इकट्ठा कायल गेल सबूत सभक दोबारा जांच कायल गेल। सबूत सभक फॉरेंसिक जांच कराओल गेल आओर अंत में हरियाणा पुलिस के दावा क' झूठलाबैत सीबीआई द्वारा एहि हत्याकांड केर आरोप मे 11वीं कक्षाक एक छात्र क' हिरासत मे लेला सँ पूरा मामले केँ कहानी पलैट गेल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ