केंद्रीय जांच एजेंसी द्वारा हरियाणा पुलिस द्वारा मुख्य आरोपी बनाओल गेल बस कंडक्टर अशोक कुमार क' क्लीन चिट द' देल गेल अछि। हरियाणा पुलिस दावा केना छल कि प्रद्युम्न केर यौन उत्पीड़न करबाक कोशिश केँ दौरान अशोक हुनकर हत्या क' देलनि, मुदा सीबीआई क' अप्पन जांच मे ऐहिक खिलाफ कोनो सबूत नहि भेटल। नहिये प्रद्युम्न के यौन उत्पीड़न के कोनो सबूत भेटल।
एक सीबीआई अधिकारी कहलनि कि आरोपी 11वीं के विद्यार्थी प्रद्युम्न क' कोनो जरूरी बात बतेबाक लालच द' बाथरूम के भीतर बजौलनि आओर तुरंते हुनकर गर्दैन रेत देलनि। एक अधिकारी कहलनि कि किनको नहि किनको ओहि दिन मरबाक छल। आरोपी एहि तैयारीक संग आयल रहथिन कि किनको नहि किनको हत्या करबाक अछि। प्रद्युम्न दुर्भाग्य बस गलत समय पर गलत जगह पहुंच गेला।
पूछताछ केँ दौरान आरोपी विद्यार्थी सीबीआई क' कहलनि कि "हमरा किछु बुझबा मे नहि आयल, बस हम प्रद्युम्न केर हत्या क' देलहुं" सीबीआई के एक अधिकारी कहलनि कि अशोक क' आरोपी बतबैत हरियाणा पुलिस द्वारा जाहि चाकू क' 'हत्या के हथियार' केर तौर पर पेश कायल गेल छल, आरोपी विद्यार्थी ओहि चाकू केर उपयोग प्रद्युम्न केर हत्या मे केना रहथिन। सीबीआई केर मुताबिक, क्राइम स्पॉट केँ कैको बेर निरीक्षण, सीसीटीवी फुटेज केँ गहन जांच, कॉल रेकॉर्ड्स खंगालब आओर सभ मास्टर, विद्यार्थी सहित कैको गोटा सँ पूछताछ करबाक बाद आरोपी तक पहुंचल गेल।
सीबीआई केर मुताबिक, प्रद्युम्न केर हत्या करबाक बाद आरोपी द्वारा स्कूल के माली क' बाथरूम मे 'घायल' भेल लड़का केर जानकारी देल गेल छल। जहिना ओहिठाम स्कूल के शिक्षक आओर स्टाफ सभक जमावड़ा लागब शुरू भेल, आरोपी चुपचाप जे क' अप्पन क्लास मे बैस रहला जता परीक्षा शुरू भ' गेल छल। ऐहिक बाद भेल उवे जे आरोपी चाहैत रहथिन। एहि घटना केँ बाद परीक्षा क' रद्द क' देल गेल, स्कूल क' खाली करा बंद क' देल गेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।