सहरसा : छह सूत्री मांग लेल संविदा कर्मी सभक रोषपूर्ण प्रदर्शन

सहरसा। 29 नवम्बर। बिहार राज्य स्वास्थ्य संविदा कर्मी संघ केर बैनर तर स्वास्थ्य विभाग केँ जिलाक तमाम संविदा कर्मी अप्पन कामकाज ठप करी छह सूत्री मांग लेल समाहरणालय पर रोषपूर्ण प्रदर्शन केलनि।

अपने क' बता दी एहि प्रदर्शन केर माध्यम सँ संविदा कर्मी सभ सरकार विरोधी नारेबाजी करैतचेतावनी देना अछि कि यदि हुनका सभक मांग पूरा नहि कायल गेल तेँ 30 नवम्बर क' बिहार सरकार केर समक्ष सेहो रोषपूर्ण प्रदर्शन कायल जायत। ऐहिक बादो मांग नहि पूरा भेल तेँ आगामी 4 दिसंबर सँ सभसंविदा कर्मी अनिश्चितकालीन हड़ताल करता।

संविदा कर्मी सभक मुख्य मांग मे सभ संविदा कर्मी केर सेवा क' नियमित करब, सामान्य काज सामान्य वेतन केर अलावा संजीवनी, डाटा सेंटर, मलेरिया छिड़काव कर्मी, आशा कार्यकर्ता, ममता कार्यकर्ता, कुरियर कार्यकर्ता, एम्बुलेंस ड्राइवर, ईएमटी आओर ब्लड बैंक कर्मी सभके सरकारी सेवक घोषित करैत न्यूनतम वेतन 18 हजार टाका प्रतिमाह निर्धारित करबाक मांग अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ