पूर्णिया : शादी समारोह मे भेल अंधाधुन फायरिंग मे दू नाबालिग केर गोली लागला सँ मौत

पूर्णिया। 29 नवम्बर। धमदाहा अनुमंडल केँ रघुवंश नगर ओपी क्षेत्रक मटिहानी पंचायत स्थित गाम मे शादी समारोह मे भ' रहल अंधाधुन फायरिंग मे दू नाबालिग केर गोली लागला से मौत होयबाक खबैर अछि।
 
प्राप्त जानकारी केर मुताबिक अजय मंडल के पुत्र रणधीर कुमार उर्फ अखिलेश केर शादी समारोह मे नाच- गान केर कार्यक्रमक दौरान खुशी जाहिर करबाक लेल खूब हवाई फायरिंग कायल गेल। एहि दौरान वीडियोग्राफर रामपुर खोरहा अठभेया टोला उदाकिशुनगंज थाना निवासी आशीष कुमार आओर मटिहानी निवासी साहेब कुमार क' गोली लागल आओर दुनू केर मौत मौके पर भ' गेल। 

एहि घटना केँ बाद मौका पर पहुँचल पुलिस दुनू के शव क' कब्ज़ा म' ल' पोस्टमार्टम लेल भेज देलनि। एम्हर घटनास्थल सँ एक वाहन सेहो जब्त कायल गेल अछि। पुलिस पूरा मामला केर गहन जांच क' रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ