भ्रष्टाचार केर मुद्दा पर विधानसभा मे भेल हंगामा, सुशील कुमार मोदी सँ भिड़ला तेजस्वी

पटना। 29 नवम्बर।[प्रणव कुमार चौधरी] बिहार विधानसभा मे भ्रष्टाचार केर मुद्दा पर आय बुध दिन राजद केर सदस्य सभ खूब हंगामा केलनी। कार्यवाई शुरू होयते विपक्ष केर नेता तेजस्वी यादव भ्रष्टाचार आओर घोटाला केँ मुद्दा उठौलनि। तेजस्वी केर इशारा पर राजद के सदस्य सभ  सेहो हमलावर अंदाज मे सरकार केर विरोध मे खूब नारा बाजी केलनि। 

राजद केर सदस्य सभकेँ जवाब देबाक लेल ठाढ़ भेल उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहलनि कि भ्रष्टाचार आओर घोटाला केर दोषी सभ अगर पाताल मे नुकाओल रहता तैयो हम हुनका सभके हेर निकालब आओर हुनका सभके कठोर सँ कठोर सजा दिऐब। दोषी जे भी हेता, किनको बचेबाक सवाल नहि उठैत अछि।

एहि पर तेजस्वी यादव कहलनि कि घोटाला तेँ रोज उजागर भ' रहल अछि, कोन तरहक कार्रवाई भ' रहल अछि? सरकार कहैत अछि कि विकास क' अब डबल इंजन लैग गेल अछि आब विकास तेजी सँ होयत। तेँ अहि बताऊ डबल इंजन विकासक लेल लागल अछि वा घोटाला लेल? विपक्ष दिस सँ कानून-व्यवस्था ल'के सदन मे कार्यस्थगन प्रस्ताव लायल गेल जाहिके अमान्य क' देल गेल। जदयू केँ श्याम रजक आ पथ निर्माण मंत्री नंदकिशोर यादव कहलनि कि राजद क' ई अधिकार नहि अछि कि ओ ऐही मुद्दा पर गप करत।

पथ निर्माण मंत्री नंदकिशोर यादव कहलनि कि राजद द्वारा कानून-व्यवस्था पर सवाल उठायब हास्यास्पद अछि। राजद अप्पन शासनकाल मे बिहार क' तबाह-बर्बाद करी अपराधी सभक राज बना देने छल। श्याम रजक कहलनि कि बिहारक जनता आय जतेक सुरक्षित महसूस करैत अछि, ओतेक पहिने कहियो नहि करैत छल। दस-पंद्रह बरख पहिने जे स्थिति छल, ओहेन आय नहि अछि। परिस्थिति बदैल गेल अछि। एकाध छोट छीन घटना होयत अछि, ऐहिके टारल नहि जे सकैत अछि। जिनका सभके पेट मे मोचार दैत छैन्ह ओ सभ पहिने अप्पन - अप्पन गिरेबान मे झांकी के देखैत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ