वैशाली। 13 नवम्बर। महुआ थाना क्षेत्र अंतर्गत कन्हौली लग मवेशी सँ लादल 10 पहिया ट्रक केँ पलटला सँ 40 मवेशि केर मौतक खबैर अछि। दुर्घटना के बाद पुलिस दुर्घटना स्थल पर पहुंच मामले के छानबीन मे जुटल अछि। मवेशि सभक संख्या केँ देखैत तस्करी केर आशंका जाताओल जे रहल अछि।
दुर्घटना के बाद ट्रक चालक व ड्राईवर फरार बताओल जे रहल अछि। ऐना मे मवेशि सभक मालिक वा ट्रकक गंतव्य स्थान केर जानकारी नहि भेटल अछि। फिलहाल, पुलिस मामला केँ जांच मे जुटल अछि। एखन धरिक जांच म' मवेशि सभक हरियाणा आओर पंजाब सँ संबंध होयबाक बात सामना आयल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।