लाउडस्पीकर के आवाज लेलक इनार म' डूबैत युवक के जान

बेगूसराय। 26 अक्टूबर। चेरिया बरियारपुर थाना क्षेत्र के खंझापुर पंचायत स्थित करोड़ गांव म' छठ पूजाक भक्तिमय माहौल के बीच एक युवक केर मौतक खबैर अछि। जे दंड प्रणाम देबाक दौरान इनार म' डूईब गेला। 

बताओल जे रहल अछि कि गामक 45 वर्षीय कमल पासवान जे छठ महापर्व म' दंड प्रणाम दैत रहथिन। इनार पर जहिना नहेबाक लेल रुकला हुनकर पैर पिछैर गेल आओर ओ इनार म' गिर पड़ला जाहिसँ हुनकर मौत  भ' गेल। 

अपने क' बता दी आसपास लाउडस्पीकर के आवाज के कारण इनार म' डूबैत शख्स केर आवाज कियो नहि सुनलनि जाहि कारण सँ कियो हुनकर मदैद लेल नहि पहुँचलनि। जेहिसे हुनकर मौत भ' गेल। फिलहाल शव क' इनार स' निकैल पोस्टमार्टम लेल सदर अस्पताल भेज देल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने