नई दिल्ली। 26 अक्टूबर। मोबाइल नंबर क' आधार सँ लिंक करब आब आसान होमै जे रहल अछि। एहि पूरा सिस्टम स' बायोमीट्रिक वेरिफिकेशन केर बाध्यताक पेच हटा देल गेल अछि। टेलिकॉम मंत्रालय के एक अधिकारी कहलनि कि आब मोबाइल उपभोक्ता घर बैसल सिर्फ वन टाइम पासवर्ड (OTP) के जरिए अप्पन नंबर आधार सँ लिंक क' सकता।
पहिने मोबाइल नंबर क' आधार सँ लिंक करबाक लेल उपभोक्ता क' सर्विस प्रोवाइडर के सेंटर पर पहुँच अप्पन बायोमिट्रिक स्कैनिंग करबे पड़ैत छलैन्ह।
आब एहि प्रकारे मोबाइल नंबर क' आधार सँ लिंक कायल जायत;
- सर्विस प्रोवाइडर कंपनी अप्पन वेबसाइट पर आधार जोड़बाक ऑप्शन देत।
- जता आधार नंबर डालते पहिने सँ दर्ज मोबाइल नंबर पर OTP आयत।
- ओहि OTP क' भरते मोबाइल नंबर क' आधार सँ जोड़बाक प्रक्रिया पूरा भ' जायत।
- जिनकर मौजूदा मोबाइल नंबर आधार म' रजिस्टर्ड नहि अछि, हुनका स्टोर पर पहुंच बायोमीट्रिक वेरिफिकेशन करे पड़तैन्ह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।