खुशखबरी : इंडियन रेलवे आनि रहल अछि नवा एप, तत्काल टिकट भेटब होयत आसान

नई दिल्ली। 26 अक्टूबर। इंडियन रेलवे टिकट बुकिंग सुविधा म' सुधार करबाक लेल  IRCTC के एक नवा एंड्रॉयड बेस्ड एप जारी करै बला अछि। ऐहिक मदैद सँ यात्री लोकनि क' टिकट बुक करबा म' बहुत सुविधा भेटत।
इंडियन रेलवे के एहि नवा एप क' उपभोक्ता सभक लेल यूजर फ्रेंडली बनाओल जे रहल अछि। एहिमे बेसी विज्ञापन सेहो नहि रहत संगहि एहिमे टिकट बुक करै घरी टाइम आउट होयबाक सेहो असुविधा नहि होयत।

एहि नवा एप स' तत्काल टिकट के गलत फायदा उठबै बला सभ पर लगाम लगाओल जे सकत। रेलवे अप्पन एहि एप म' एक एहेन फैसिलिटी सेहो आने के तैयारी म' अछि जाहिक तहत लोग सभके ट्रेन के अएबाक आओर खुजबाक सही समय मैसेज सेहो भेजल जे सकत। ऐहिक अलावा ट्रेन के देर होयबाक स्थिति म' सेहो यात्रा क' रहल यात्री सभके मोबाइल पर एसएमएस एलर्ट भेजल जे सकत।


प्राप्त खबैर केर मुताविक एहि फीचर्स क' जोड़बाक लेल रेलवे इसरो केर मदैद ल' रहल अछि, ताकि सेटेलाइट केर मदैद स' ट्रेन सभक सही समय केर रिपोर्ट यात्री सभके देल जे सके। एक रेलवे अधिकारी कहलनि कि आईआरसीटीसी केर मुकाबला आन दोसर ट्रेवल वेबसाइटट पर नेविगेट करब आसान होयत अछि। ऐहिक अलावा इंडियन रेलवे के सेंट्रल इंफॉर्मेशन सिस्टम, आईआरसीटीसी आओर रेलवे के आईटी विभाग क' सेहो एक संग जोड़बाक तैयारी कायल जे रहल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ