नगर भवन के सभागार म' उपस्थित लोग सभक कहब छल कि महामहिम केशरीनाथ त्रिपाठी जाहि तरहे मिथिलाक सांस्कृतिक धरोहर, विद्यापति केर साहित्य साधना व माँ मैथिली के वरदपुत्र सभक चर्चा केलनि, निश्चित रूपे हुनकर विद्वता व मिथिलाक प्रति प्रेम दर्शाबैत छल। ओतहि मैथिल कोकिल विद्यापति केर स्मृति म' आयोजित पर्व समारोह म' मंचासीन विद्वान सभ बाबा विद्यापति केर चर्चा तक नहि केलनि।
विधानसभा अध्यक्ष विजय कुमार चौधरी व पूर्व मंत्री डॉ. मदन मोहन झा हुनकर निर्वाण के कथा एक पंक्ति म' सुना अप्पन कर्तव्य केर इतिश्री क' लेलनि। मंचासीन विद्वतजन व राजनेता सभ अपना आप क' महामहिम केशरीनाथ त्रिपाठी केर यशोगान धरि सीमित राखलनि।
एतबे नहि, मैथिली के मंच सँ डॉ. बुद्धिनाथ मिश्र जेहेन विद्वान लोकनि तँ यशोगान हिन्दी म' शुरू क' देलनि ताकि राज्यपाल महोदय हुनकर चरण वंदन क' बुझी सकैथ। ऐहिक खुलासा सेहो विधानसभा अध्यक्ष करैत हिन्दी म' अप्पन संबोधन केलनि। ओतहि पूर्व मंत्री महोदय तेँ हद क' देलनि, ओ अप्पन संबोधन मैथिली म' शुरू केलनि आओर अंत हिन्दी म' केलनि। लोग सभक कहब छल ओ किछु देर आओर बाजतियैथ तेँ अंग्रेजी धरि पहुंच जेतियैथ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।